অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

कहां एवं कैना नामांकन करूं

नामांकन प्रक्रिया

  • आधार नामांकन निशुल्क छै.
  • आं अपन पहचान आ पताक कें प्रमाण कें साथ भारत मे कोनों प्राधिकृत नामांकन केंद्र पर जा सकय छी.
  • यूआईडीएआई पहचान प्रमाण कें 18 आ पताक कें 33 दस्तावेजक कें प्रमाण कें रूप में स्वीकार करय अछि. कृपया राष्ट्रीय पर मान्य दस्तावेजक कें सूची कें लेल एत क्लिक करूं इलेक्शन फोटो आईडी/राश्न कार्ड आ ड्राइविंग लाइसेंस पहचान आ पताक कें कॉमन प्रमाण अछि.
  • पेन कार्ड आ सरकारी पहचान पत्र जैना प्रमाण पत्र , पहचान कें प्रमाण स्वीकार्य अछि जेकरा पर फोटो लागल होय.
  • पताक कें प्रमाण कें रूप मे पानी-बिजली कें बिल /टेलीफोन बिल जैना दस्तावेज कार्य स्वीकार्य अछि. बश्रेत बिल तीप महीनाक स पुरान नहि होय
  • यदि अहां कें पास उपयुक्त सामान्य प्रमाण प्रमाण नहि होय तं राजपत्रित अधिकारी /तहसीलदार दूवारा लैटर -हैड पर जारी प्रमाण पत्र , पहचान प्रमाण मानल जा सकय छै बशर्ते ओई पर व्यक्ति कें फोटो सेहो लागल होय.
  • पताक के प्रमाण कें तौर पर एमपी/एमएलए / राजपत्रित अधिकारी तहसीलदार दूवारा ग्राम पंचायत लैटर-हैड पर या ग्राम पंचायत मुख्यिा या ओकर समकक्ष प्राधिकारी दूवारा (ग्रामीण क्षेत्र कें मामला मे) जारी प्रमाण कपत्र के पताक कें प्रमाण मानल जा सकय या बशर्ते कि ओइ पर व्यक्ति कें फोटो सेहो लागल होय.
  • यदि परिवार मे कोनों सदस्य कें पास अपन खुद का कोनों मान्य दस्तावेज नहि छै त ओहो आधार नामांकन करवा सकय छै. यदि ओकर नाम परिवार कें अन्य सदस्य कें दस्तावेज मे दर्ज छै. ऐहन मामला मे परिवार कें मुखिया कें नामांकन सबसे पहिले होबाक चाही जेकर पास अपन पहचान आ पताक कें प्रमाण कें दस्तावेज होबाक चाही . ओइ कें बाद परिवार कें मुखिया अपन परिवारक सदस्यक कें लेल परिचयदाता बनय सकय छै. जइ कें आधार पर ओकर परिवार कें सदस्यक नामांकन भ सकय छै. यूआइडीएआई मुखिया कें साथ संबंध कें रूप मे 8 दस्तावेजक कें मानयता दयत छै. राष्ट्रीय स्तर पर मान्यता प्राप्त दस्तावेजक कें लेल कृपया एत क्लिक करूंजत कें कोनों निवासी कें पास दस्तावेज नहि होय त ओ नामांकन केंद्र पर उपलब्ध परिचयदाता कें मदद ल सकय छै. परिचयदाताक के रजिस्टार विर्निदिष्टक करय छै. बेसी जानकारी कें लेल संबंधित रजिस्टार कें कार्यालय सं संपर्क करूं.
  • नामांकन केंद्र पर कृपना फार्म मे अपन विवरण भरूं. नामांकन कें दौरान अहां कें फोटो , फिंगर प्रिंट आ आइख कें पुतलियक निशान सेहो लेल जयत. नामांकन कें दौरान अहां अपन विवरण कम्प्यूटर स्क्रीन पर सेहो देख सकय छी. यदि जरूरी हुएआ त होइ मे सुधार सुधार करवा सकय छी. अहां कें एकटा पावती सेहो देल जयत जइ पर अस्थायी नामांकन नंबर व अन्य विवरण देल रहय छै.
  • अहां केवल एक बेर नामांकन करवां सकय छी. दूबारा नामांकन करवाक कें मतलब छै अपन समय कें बर्बाद करनाय. अहां कें आधार नंबर एक बेर भेटत.
  • अहां के दूवारा देल गेल सूचना कें आधार पर अहां कें विवरण कें केंद्रीय स्तर पर जांच कैल जेतय. यदि अहां कें आवेदन सफल भ जाइया तहन आधार नंबर तैयार कैल जयत आ ओकरा डाक दूवारा पताक पर भेज देल जयत.
  • सीआइडीआर मे निवासी कें डाटा पैकेट प्राप्त हुअ के बाद 60-90 दिन केंभीतर आधार पत्र बइन जाय छै. यदि नामांकन एनपीआर कें तहत करवैल गेल छ त कनिक बेसि समय सेहो लाइग सकय छै.

नामांकन कें करय कें बाद

नामांकन कें बाद , नामांकन केंद्र सुपरवाईजर दूवारा क्वालिटी चैक कैल जाय छै. ओइ कें बाद सुधार प्रक्रिया कैल जाय छै. (जत-कत कें जरूरत होय छै) आ डाटा पैकेट कें समकेतिक कैल जाय छै. सीआईडीआर मे डाटा की सक्रीनिंग आ वेलीडेश्न कैल जाय छै. अइ प्रक्रिया स डॉट का प्रमाणीकरण सुनिश्चित कैल जाय छै. अइ पता चल जाय छै कि कोनों नामांकन डुप्लीकेट त नहि छै. नागरिक स एकत्र कैल गेल डेमोग्राफिक आ बॉयोमैट्रिक डाटा कें क्वालिटी चैक कैल जाय छै. नगारिक स एकत्र कैल गेलय अइ कें अतिरिक्त,ऑपरेटर /सुपरवाइजर /परिचयदाता /नामांकन एजेंसी आ रजिस्टार कें दूवारा हर पैकेट कें सूचना कें वेलिडेट कैल जाय छै. क्वालिटी चैक आ अन्य वेलिडेशन कें पास भेला पर पैकेटदृस के डी-डुप्लीकेशन कें लेल भेजल जेतय. आ आधार तैयार भ जतय. यदि कोनों त्रुटि होय छै त पैकेट कें रोक लेल जाय छै. उदाहरण कें लेल यदि निवासी कें नामांकन करय वाला ऑपरेटर कें विवरण डाटाबेस कें अनुसार नहि होय या फोटो आ आयु/जेण्डर मे मिसमैच होय (उदाहरण कें तौर पर 50 वर्ष कें आयु कें निवासी कें फोटों कें स्थाप पर एकटा बच्च कें फोटो होय) त ऐहन मामला मे आगू कें जांच पडताल कें लेल पैकेट रोक लेल जाय छै.

जत कतोउ संभव होय छै सुधारात्मक कार्रवाई कैल जाय छै अन्यथा निवासी कें पत्र दूवारा सूचित कैल जाय छै ओकर नामांकन रद्द भ गेलय छै आ निवासी कें सलाह देल जाय छै कि दोबारा सं नामांकन करवाउ . भारतीय डाक कें आधार पत्र के प्रिटिंग आ डिलीवरी कें जिम्मेदारी सौंपल गेल छै. बैकलॉग पर निर्भर करयत आ डिलीवरी कें लोकेशन कें देखयत ,भारतीय डाक विभाग, सामान्यता आधार पत्र कें प्रिंट करयत आ पहुंचावा (डिलीवर) कें लेल तीन सं पांच सप्ताह कें समय लय छै.

यदि आधार नामांकन एनपीआर कें माध्यम सं भेल छै त जांच-पडताल आरजीआई दूवारा अनुमोदित एलआरयूआर (लोकल रजिस्टार ऑफ यूजल रेजिडेंस) प्रक्रिया कें तहत हेतय. आधार नम्बर एलआरयूआर प्रक्रिया कें पूरा हुअ कें पश्चात ही जारी कैल जेतय. अइ प्रक्यिा मे किछू बेसि समय लगय छै. नामांकन कें समय निवासी कें नामांकन केंद्र पर एकटा पावती देल जाय छै. अइ पावती सं निवासी कें रजिस्ट्रार कें जानकारी मिल सकय छै. यदि नामांकन आरजीआई दूवारा कैल गेल छै त आरजीआई कार्यालय सं ब्यौरा प्राप्त कैल जा सकय छै.

कत नामंकन करूं

आधार नामांकन केंद्र जहाँ आप नामांकन कर सकते हैं।

नामांकन के लिए अपना स्थान सुरक्षित करें।

निम्न: राज्यक/केंद्र शसित प्रदेशक कें निवासी कृपया नोय करय लीअ कि इ राज्यक मे नामांकन कार्य रजिस्ट्रार जनरल ऑफ इंडिया कें कार्यालय दूवारा संपन्न कैल जा रहल छै. जे कि राष्ट्रीय जनसंख्या रजिस्ट्रार (एनपीआर) तैयार करय रहल छढ. अत: इ राज्यक कें निवासिक कें अलग सं आधार कें लेल नामांकन करवेनाय कें जरूरत नहि छै.

  • राज्य : अरूणाचल प्रदेश/असम/जम्मू्-कश्मीर/मेघालय/मिजोरम/उडीसा/तमिलनाडु आ पश्चिम बंगाल.
  • केंद्र शासित प्रदेश : अण्डमान-निकोबार द्वीप समूह/दादर व नागर हवेली आ लक्षद्वीप.
  • कर्नाटक के जिले : उडिपी/गडाग/उत्त-कन्नड़/हवेरी/दावागेरे/बंगलौर ग्रामीण चिकबालापुर आ कोडागु

अन्य राज्यक (केंद्र शासित प्रदेशक / जिलाक) कें निवासी कअपया नोट करूं कि हुनका यूआईडीएआई कें अंतर्गत छै. यदि हुनका एनपीआर कें तहत अपन नामांकन पहिले करवा लेनय छै.

स्त्रोत: भारत विशिष्ट पहचान प्राधिकरण, भारत सरकार

अंतिम बेर संशोधित : 6/14/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate