অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

बेटी बचाउ बेटी पढाउ योजना

पृष्ठभूमि

0-6 सालक वर्गक मे 1000 बालक क बीच परिभाषित बाल लिंगक अनुपात मे प्रति बालिकाक संख्याक प्रवृत्ति 1961 स निरंतर देखल जा रहल अछि. 1991 के 945 संख्याक 2001 मे 927 पहुंचवा पर आ 2011 मे अई संख्या के 918 पर पहुंचव के खतरा मानैत येकरा सुधारवाक प्रयास आरम्भ कैल गेल अछि. लिंग अनुपात मे गिरावट साफ साफ स्त्रिगनक समाज मे स्थानक दिस इंगित क रहल अछि जे जनम पूर्व लिंग भेदभाव आ ओकर चयनक लेल कैल जा रहल पक्षपातक गप करैत अछि.

महिला आ विकास मंत्रालय, स्वास्थ्य मंत्रालय आ परिवार कल्याण मंत्रालय एवम मानव संस्थान विकासक एकटा सन्युक़्त पहलक रूप मे समंवित आ अभिसरित प्रयासक अंतर्गत बालिका सभक संरक्षण आउर सशक्त करवाक लेल बेटी बचाउ बेटी पढाउ ( BBPT) योजनाक आरम्भ कैल गेल अछि. आ जेकरा निम्न लिंग अनुपात वाला 100 जिला मे प्रारम्भ कैल गेल अछि.

समग्र लक्ष्य

बालिका सभक गुणगान करू आ ओकरा शिक्षा ग्रहण करबा लेल सक्षम बनाउ।

जिला सभहक पहिचान

सभ राज्‍य / संघ शासित क्षेत्र सभ कें कवर 2011 क जनगणनाक मुताबिक निम्‍न बाल लिंग अनुपातक आधार पर प्रत्‍येक राज्‍य मे कम सं कम एक जिलाक संग 100 टा जिला सभ कें एकटा पायलट जिला के रूप मे चयन कएल गेल अछि आ जिला सभक चयन कें लेल तीन टा मानदंड एहि प्रकारक अछि...

  • राष्ट्रीय औसत सं निचा बला जिला (87 जिले/23 राज्य)
  • राष्ट्रीय औसतक बराबर गिरावटक रुख (8 जिले/8 राज्य)
  • राष्ट्रीय औसत सं आ लिंगानुपातक बढ़ैत प्रवृत्ति बला राज्‍यक जिला सभ  (5 जिले/5 राज्यक चुनाव जे अपन लिंगानुपातक स्तर के बना क' रखलक आ जेकर अनुभव सं सीख क' आन आन जगह पर दोहराएल जा सकय।

द्वितीय चरण

महिला आ बाल विकास मंत्रालय बेटी बचाउ बेटी पढ़ाउ योजना के 61 अतिरिक्‍त जिला मे (11 राज्‍य समेत) विस्‍तारिक क' देलक अछि। नब जिलाक मादें जनबाक लेल क्लिक करू।

उद्देश्‍य

  • पक्षपाती लिंग चुनावक प्रक्रिया कें उन्मूलन
  • बालिका सभक अस्तित्व आ सुरक्षा सुनिश्चित करब
  • बालिका सभक शिक्षा सुनिश्चित करब

रणनीति

  • बालिका आ शिक्षा कें बढ़ावा देबाक लेल एकटा सामाजिक आंदोलन आ समान मूल्‍य कें बढ़ावा देबाक लेल जागरुकता अभियान कें कार्यान्वय करब।
  • अइ मुद्दा कें सार्वजनिक विमर्शक विषय बनाएब आ ओकरा संशोधिक करैत रहब सुशासनक पैमाना बनत।
  • निम्न लिंगानुपात बला जिला सभकें चीन्‍ह क' ध्‍यान दैत गहन आ एकीकृत कार्रवाई करब।
  • सामाजिक परिवर्तन अनबाक लेल महत्वपूर्ण स्त्रोतक रुप मे स्थानीय महिला संगठन/युवा सभक सहभागिता लैत पंचायती राज्य संस्था, स्थानीय निकाय आ जमीनी स्तर पर जुड़ल कार्यकर्ता सभ कें प्रेरित आ प्रशिक्षित करैत सामाजिक परिवर्तनक प्रेरकक भूमिका मे ढालब।

संघटक

बेटी बचाउ-बेटी पढ़ाउ पर जनसंचार अभियान

देशव्यापी अभियान 'बेटी बचाउ, बेटी पढ़ाउ आरंभ करबाक संग ई कार्यक्रम शुरू हएत जाहि मे बालिका सभ कें जन्‍म कें आनंद-उत्‍सव के रूप मे मनाएबाक संग ओकरा शिक्षा ग्रहण करबा मे सक्षम बनाएल जेतैक। अभियानक उद्देश्य बालिका सभ कें जन्म, पोषण आ शिक्षा बिना कोनो भेदभाव कें भेटय आ समान अधिकारक संग ओ देशक सशक्‍त नागरिक बनय।

राज्‍य आ केंद्रशासित प्रदेशक निम्‍न लिंगानुपात बला 100 संकटग्रस्‍त जिला आ अतिरिक्‍त 61 जिला सभ मे बहुक्षेत्रीय शुरुआत

महिला आ बाल विकास मंत्रालय आ मानव संसाधन विकास मंत्रालय कें परामर्श सं बहुक्षेत्रीय कार्य तैयार कएल गेल अछि। बहुक्षेत्रीय कार्य कें संज्ञान लैत संदर्भित क्षेत्र, राज्‍य आ जिला सभ मे निम्‍न लिंगानुपात कें सुधारबाक लेल परिणामप्रेक्षित आ संकेतक सभ कें एक एंग उपयोग मे लाएल जाएत।

सोशल मीडिया

शिशु के गिरैत लिंग अनुपातक मुद्दा पर प्रासंगिक वीडियो के संग BBBP पर एकटा यूट्यूब चैनल आरंभ कएल गेल अछि। जागरूकता अनबाक लेल आ आसान उपयोग आ प्रसारक लेल निरंतर वीडियो अपलोड कएल गेल आ एहि मंचक माध्‍यम सं ओकरा साझा सेहो कएल गेल अछि। एकरा संगे राष्‍ट्र के बेटी बचाउ बेटी पढ़ाउ सं जोड़बाक लेल आ लोक सभक भागीदारी, समर्थन प्राप्‍त करबाक लेल MyGov पोर्टल सं लोक सभ कें एकरा सं जोड़ल जा रहल अछि।

स्त्रोत: बेटी बचाउ बेटी पढ़ाउ, महिला आ बाल कल्याण मंत्रालय, भारत सरकार

अंतिम बेर संशोधित : 6/23/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate