অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

प्रधानमंत्री जीवन ज्योति बीमा योजना 

योजना का विवरण

एहि बीमा योजना मे प्रतिवर्ष नवीनीकरणीय एक वर्षक कवर आ कोनो कारण सं मृत्यु होयबा पर जीवन बीमा कवरक पेशकश कएल गेल अछि। ई योजना भारतीय जीवन बीमा निगम  (एलआईसी)क माध्यम सं पेश/प्रशासित कएल जएतैक आ अन्य जीवन बीमा कंपनी सभक आवश्यक मंजूरीक बाद बैंक सभकें संलग्न क' एहि तरहक शर्त पर उत्पाद प्रदान क' सकैत अछि। सहभागी बैंक एहि तरक अन्य कोनो जीवन बीमा कंपनी कें संलग्न क' अपन ग्राहक सभक लेल ई योजना लागू क' सकैत अछि।

कवरेजक दायरा

सहभागी बैंक सभक 18 सं 50 वर्षक आयु के सभ बचत बैंक खाताधारक शामिल होयबाक हकदार होयताह। कोनो व्यक्तिक एक अथवा विभिन्न बैंक सभ मे कएक टा बचत खाता हो तखन एहन मामिला मे ओ व्‍यक्ति मात्र एक टा बचत खाताक माध्यम सं एहि योजना मे शामिल होयबाक लेल पात्र भ' सकैछ। बैंक खाता लेल आधार कार्ड प्राथमिक केवाईसी होयतैक।

नामांकनक अवधि

प्रारंभ मे, 1 जून 2015 सं 31 मई 2016 धरि धरि कवर अवधि लेल, ग्राहक सभ कें 31 मई, 2015 धरि योजना मे नामनिवेश कर' पड़तैक आ स्वत: नामक सहमति देब' पड़तैक। संभावित कवर लेल देरी सं नामांकन 31 अगस्त, 2015 धरि संभव हेतैक जकर अवधि भारत सरकार द्वारा आ तीन मास धरि अर्थात, 30 नवंबर, 2015 धरि बढ़ाएल गेलैक। जे बाद मे सम्मिलित होब' चाहैत छथि ओ पूर्ण वार्षिक प्रीमियमक संग निर्धारित परफोर्मा मे नीक स्वास्थ्यक स्व-प्रमाण पत्र प्रस्तुत क' संभावित कवर प्राप्त क' सकैत छथि।

नामनिवेश साधन

कवर 1 जून सं 31 मई धरि एक वर्ष लेल हेतैक, जाहि मे सम्मिलित होयबा लेल नासमत बचत बैंक खाता सं स्वत: नाम द्वारा नामांकन/भुगतान करबा लेल निर्धारित प्रपत्र सभ पर प्रतिवर्ष 31 मई धरि, प्रारंभिक वर्ष लेल उक्त रूप मे अपवादक संग, विकल्प प्रस्तुत करब आवश्यक होयत। संभावित कवर लेल विलंबित नामांकन पूर्ण वार्षिक प्रीमियम भुगतानक संग नीक स्वास्थ्यक स्व-प्रमाण पत्र प्रस्तुत करबा पर संभव भ' सकैत अछि।

एहि योजना सं बाहर होम' बला व्यक्ति कोनो समय, भविष्‍यो मे, निर्धारित परर्फोर्मा मे नीक स्‍वास्‍थ्‍यक घोषणा प्रस्तुत क' एहि योजना मे फेर सं सम्मिलित भ' सकैत छथि।

लाभ

कोनो कारणवश सदस्यक मृत्यु भेला पर दू लाख टक देय हेतैक।

प्रीमियम

330/-टाका प्रति सदस्य प्रति वर्ष। एहि योजनाक तहत, देल गेल विकल्पक मोताबिक, प्रीमियम एक किश्त मे ‘स्वत:नामे’ सुविधाक माध्यम सं खाताधारकक बचत खाता सं प्रत्येक वार्षिक कवरेज अवधिक 31 मई अथवा ओहि सं पूर्व काटि लेल जएतैक। 31 मई के पश्चात, संभावित कवर लेल विलंबित नामांकन पूर्ण वार्षिक प्रीमियम भुगतानक संग अच्छे स्वास्थ्यक स्व-प्रमाण पत्र प्रस्तुत करबा पर संभव भ' सकैत अछि।

पात्रताक शर्त

(क) सहभागी बैंकक बचत बैंक खाता धारक, जिनकर उम्र 18 वर्ष (पूर्ण) सं 50 वर्षक (जन्मदिनक निकटतम आयु) बीच छई आ जे उक्त साधनक रूप मे योजना मे सम्मिलित होयबा लेल/स्वत:नाम लेल सहमति दैथि, हुनका एहि योजना मे सम्मिलित कएल जा सकैत अछि।

(ख) जे व्यक्ति प्रारंभिक नामांकनक अवधिक उपरांत, 31 अगस्त 2015 वा 30 नवंबर 2015 धरिक विस्तारित अवधि धरि, जेहन मामिला हो, योजना मे सम्मिलित भ' रहल छथि, हुनबा एकटा आत्म-प्रमाणीकरण देब आवश्यक हेतैक कि हुनकर स्वास्थ्य नीक छई आ ओ कोनो तरहक असाध्‍य रोग जेना कि नामांकनक समय सहमति सह घोषणापत्र मे उल्‍ल्‍ेख कएल गेल छई, सं ग्रस्‍त नहि छथि।

प्रधानमंत्री जीवन ज्योति बीमा योजनाक मुख्य बात

1

प्रीमियम राशि

330 टाका प्रति वर्ष

2

कवरेज नियम

मृत्यु कवरेज (एक्सीडेंटलसामान्य)

3

आयु सीमा

18 वर्ष सं 50 वर्ष

4

कवरेज अवधि

50 वर्ष धरि

मास्टर पालीसी धारक

सहभागी बैंक मास्टर पालीसी धारक हेताह। सहभागी बैंकक संग परामर्शक पश्चात, जीवन बीमा निगम /अन्य बीमा कंपनी द्वारा एक सरल आ ग्राहक अनुकूल प्रशासन आ दावा निपटानक प्रकिया कें अंतिम रूप देल जएतैक।

अंतिम बेर संशोधित : 6/14/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate