प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना एक प्रकारक दुर्घटना बीमा पॉलिसी अछि जकरा अंतर्गत दुर्घटनाक समय मृत्यु अथवा अपंग होयबा पर बीमाक राशि लेल क्लेम कएल जा सकैत अछि। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक वार्षिेक प्रीमियम मात्र 12 टाका छैक। एहि बीमा योजनाक अंतर्गत 12 टाका वार्षिक प्रीमियम पर दुर्घटना बीमा कएल जाएत। प्रधामंत्री सुरक्षा बीमा योजना एक साल तक वेलिड रहत जकरा प्रति एक वर्षक बाद रिन्यू करबाब' पड़तैक। ई योजना 18–70 सालक लोक सभ लेल छैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक अंतर्गत मृत्यु एवं पूर्णतः विकलांग होयबा पर दू लाख टाका एवं आंशिक तौर पर अपंग भेला पर एक लाख टका बीमा राशि देल जेतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक मुख्य बातें 1 प्रीमियम राशि 12 टाका प्रति वर्ष 2 कवरेज नियम एक्सीडेंटल कवरेज (पूर्ण 2 लाख / आंशिक 1 लाख) 3 आयु सीमा 18 वर्ष सं बेसी 4 कवरेज अवधि जा धरि सुचारू राखि सकी योजनाक लेल योग्यता प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना सं 18 सं 70 वर्षक व्यक्ति जुड़ि सकैत अछि। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना सं जुड़ला पर 12 टाका प्रति वर्षक राशि प्रीमियमक तौर पर धारक के देबाक होयतैक। जुड़बा लेल की करी प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक हिस्सा बनबा लेल धारक कें सर्वप्रथम अपन आधार कार्ड कें बैंक सं जोड़' पड़तैक। तकरा बाद प्रति वर्ष 1 जून सं पहिने एकटा फॉर्म भरि क' बैंक मे देब' पड़तैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना प्रीमियम भुगतान एहि योजनाक लेल धारक कें मात्र 12 टाका प्रति वर्ष देब' पड़तैक जे कि खाता सं बैंक द्वारा सोझे काटि लेल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक कवरेज दुर्घटनाक समय मृत्यु अथवा पूर्ण रूप सं शारीरिक विकलांगता भ' जाइछ तखन दू लाख टाका देल जएतैक। आंशिक विकलांगता लेल एक लाख टाकाक कवरेज देल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक अंतर्गत योजना सं जुड़ल रहबाक दू टा आप्शन प्रति वर्ष 1 जून सं पहिने फॉर्म भरू। फॉर्म जमा करबाक पश्चात बैंक प्रीमियम राशि खाता सं काटि लेत। दोसर आप्शन अछि 2 सं 4 वर्षक दीर्घ समयक कवरेज। जं धारक एकरा चुनैत अछि तं प्रीमियम राशि प्रति वर्ष स्वतः बैंक द्वारा खाता सं काटि लेल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक सुविधा प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना सब प्रकारक नामित बीमा कंपनी एवं बैंक मे शुरू कएल गेल अछि। एकर अतिरिक्त अन्य बीमा कंपनी जे कि सब प्रकारक शर्तक संग एहि प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना कें सुचारू क' रहल अछि, उ सेहो एहि योजना मे शामिल अछि। वर्तमान समय मे ई योजना एसबीआई बैंक द्वारा शुरू कएल जएतैक। बाद मे एकरा अन्य निजी बैंक अथवा एलआईसी सं जोड़ि देल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना मे सरकारक योगदान एहि योजनाक लेल सरकार द्वारा प्रति वर्ष निर्णय लेल जएतैक। संगहि बीमा राशि पब्लिक वेलफेयर फण्ड द्वारा देल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना पर कर सुविधा अखन ई योजना 80C कें अंतर्गत टैक्स फ्री अछि। जं बीमा पालिसीक अंतर्गत 1 लाख टाका देल जा रहल अछि मुदा फॉर्म 15G या फॉर्म 15H जमा नहि कएल गेल अछि तखन कुल आय सं 2% TDS काटि लेल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक लाभ प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजनाक अंतर्गत धारक कें 2 लाख टाकाक दुर्घटना जीवन बीमा देल जएतैक। संगहि आंशिक नुकसान पर एक लाखक बीमा देल जएतैक। एहि बीमा राशि लेल धारक कें मात्र 12 टाका प्रति वर्ष अर्थात एक टाका प्रति माहक राशि प्रीमियमक तौर पर देब' पड़तैक। भविष्य मे प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना प्रधानमंत्री जन धन योजना सं जोड़ि देल जएतैक। ई प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना बैंक सं जुड़ल होयबाक कारणें धारक कें प्रीमियम भरबाक चिंता सं मुक्ति भेटि जएतैक किएक तं ई राशि सीधे खाता सं काटि लेल जएतैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना प्रधानमंत्री जीवन ज्योति बीमा योजना मे अंतर क्रम.स. मुख्य बिंदु प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना प्रधानमंत्री जीवन ज्योति बीमा योजना 1 प्रीमियम राशि 12 टाका प्रति वर्ष 330 टाका प्रति वर्ष 2 कवरेज नियम एक्सीडेंटल कवरेज (पूर्ण 2 लाख / आंशिक 1 लाख) मृत्यु कवरेज (एक्सीडेंटल/ सामान्य) 3 आयु सीमा 18 वर्ष सं बेसी 18 वर्ष सं 50 वर्ष 4 कवरेज अवधि जा धरि सुचारू राखी 50 वर्ष तक